कार्यक्रम
आयोजन-पंचांग
हमर सब कार्यक्रम मे अपनेक सादर आमंत्रण अछि।
आगामी
आगामी
प्रो. हरिमोहन झा जयंती समारोह
१८ सितम्बर २०२६ · सांझ 5:00 बजे
विद्यापति भवन, पटना
व्याख्यान · सम्मान · सांस्कृतिक प्रस्तुति
आगामी
विद्यापति स्मृतिपर्व समारोह २०२६
नवम्बर २०२६ · तिथि शीघ्र घोषित होयत
विद्यापति भवन, पटना
७२म स्मृतिपर्व · दू-दिवसीय आयोजन
सम्पन्न आयोजन
सम्पन्न · ०२ नवम्बर २०२५
७१म विद्यापति स्मृतिपर्व समारोह
अनेक विघ्न-बाधाक बावजूद ७१म विद्यापति स्मृतिपर्व सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल। दुनू दिनक उद्घाटन माननीय न्यायमूर्ति अरुण कुमार झा आ माननीय राज्यपाल महोदयक कर-कमल सँ भेल। विशिष्ट अतिथि प्रो. रत्नेश्वर मिश्रक महाकवि विद्यापति पर सारगर्भित वक्तव्य सँ सभ प्रभावित भेलाह।
गीत-संगीत, नृत्य आ नाटकक कलाकार लोकनि पर्वक आत्मा बनलाह। सभ पदाधिकारी, संयोजक, कार्यकर्ता, साहित्यकार, मीडिया-बन्धु आ दर्शक लोकनिक प्रति हार्दिक आभार।
— श्री जयदेव मिश्र, सचिव, चेतना समिति
वार्षिक आयोजन-सूची लेल समिति कैलेंडर देखू।
